Thursday, May 18, 2017

gruene village in San Antonio

काल्हि ग्रीन (Gruene) भिलेज गेल रही । ई गाम ग्वाडालूपे नदी के तट पर अवस्थित अछि । कोनो छोटो-छीन स्थान के सजाक' पर्यटक के आकर्षित केनाइ कियो अमेरिकन लोक स' सीखय । दस टा ठहर' के होटल, दस-बीस टा खै-पीब' के दोकान, पाँच-सात टा एन्टिक्स के दोकान, नदी मे हेलक लेल स्विमिंग बोट, गाड़ी के पार्किंग के व्यवस्था, बस यैह थिक ग्रीन गाम । लगभग 3 हजार गाड़ी के भीड़ देखि आनायासे भारतक कोनो प्रसिद्ध स्थान के आभास भ' सकैछ, मुदा ई एक सामान्य नदी के कातक गाम थिक । भारत मे ऐ तरहक हजारो हजार स्थान हैत मुदा उपेक्षित । ऐ ठामक लोक सब पाँच दिन खूब कठोर परिश्रम करैछ आ शनि-रबि क' खूब मस्ती । ताही के पूर्ति हेतु ऐ तरहक स्थान के सजाओल जाइछ आ पर्यटक के आकर्षित कैल जाइछ ।
काश, भारतो मे हम सब एकर नक़ल करितौं ! ओइ ठामक किछु चित्र-

No comments:

Post a Comment