Thursday, May 18, 2017

फ्लेमिंगबर्ड्स

परसू चिड़ियाखाना घूम' गेल छलहुँ । बेसी जानवर अपने सबहक जू सदृश, किछु न'व छल- एंट ईटर, कंगारू आर बहुत रास अमेरिकन जीव जंतु । एकटा बड्ड नीक दृश्य देखल- जल मे बहुत माछ छलैक, फ्लेमिंगबर्ड्स के बैसक स्तम्भ जल स' ऊपर छलैक आ ओतहि ओकर भोजन छलैक । एकोटा पक्षी अपने नै ख़ाइ छल, जानि-बूझि क' सबटा भोजन नीचा खसा क' माँछ के खुआ रहल छल; जल मे स्तम्भक जड़ि मे माँछक झुंड जुटल छल भोजन लेल । ई प्रेम देखि मोन विभोर भ' गेल । काश! मनुक्खो सब अहिना करितै, अपने नै ख़ाक' अनका खुआब' मे आनंद पबितै ।

No comments:

Post a Comment