Wednesday, July 27, 2016

मोन होइ अछि

मोन होइ अछि झड़ना पहाड़ पर घुमि-फिरि अवितौं,       नदी-समुद्रक दर्शन सदिखन करिते रहितौं I        पोखरि लग मे जाय माछ के मुरही दैतौं,             पार्क महक चिड़िया-चुनमुन के अन्न खुअवितौं I      जाय प्रयागक संगम मे डुबकी द’ अबितौं,         वृन्दावन मे जाय बिहारिक दर्शन करितौं II   

No comments:

Post a Comment