चलू चलू वाणी चिड़ियाघर सगरो
आइ घुमा दै छी I बहुत
प्रकारक जंतु ओतय छै, सबटा
आइ देखा दै छी II
एक सींघ के गेंडा देखू, बाघ, सिंह, दरियाई घोड़ा I बानर, मगर,
साँप आ हाथी, नील
गाय, चीता आ ज़ेबरा II
दू दू टा जल भरल झील, बोटिंग
मे बच्चा सब लागल अछि I माछक
घर अछि बहुत मनोरम, बाल्य-ट्रेन
पर शिशु पागल अछि II
तोता, सारस, एमू, हंसो,
चिड़िया सब अछि रंग-बिरंग I झुण्ड हरीनक सोभय अतिशय, ऊदबिलावक गजबे
ढंग II
ऊँच जिराफक बात ने पूछू, बारह
सिंघा करय कमाल I चीता
के फुर्ती अछि गजबे, भालुक
नाच लगाबय ताल II
जीव
प्रेमक पाठ सीखू, आर पर्यावरण रक्षण I प्राण वायुक थिका सर्जक, हिनक मिलिक’ करी बर्धन I हिनक
मिलिक’................II
No comments:
Post a Comment