सगर दुनियाँ छानि किओ,
सुन्नर खोंता बनौलक ।
सबके पछाड़िक' किओ,
दिग्गज बड़का कहौलक ।।
दिग्गज बड़का कहौलक,
जोश मुदा टूटि गेलै ।
अपनहिं लोक जखन,
ओकरा नै चीन्हि पेलै ।।
कियो नै रहस बूझय,
गजबे अछि हमर दुनियाँ ।
अपने सँ हारय सब,
जीतय भले सगर दुनियाँ ।।
-------/---------------/------------
No comments:
Post a Comment