अहाँक स्वाभिमान
अमूल्य थिक,
दुनियाँक
सबसँ पैघ वस्तु थिक ।
कियो
कतबो प्रलोभन दिअय
ज़मीर गमाक' झुकनाइ
अपन अस्तित्व
मिटेबाक सदृश थिक ।
कियो अहाँके
ऐ लेल महत्व दैत अछि
किऐक तँ ओकरा
अहाँक
क्वालिटीक आवश्यकता छैक ।
जखने झुकि गेलहुँ,
स्वाभिमान समाप्त क' लेलहुँ,
अहाँ समाप्त भ' गेलहुँ ।
"यूज एन्ड थ्रो"
भौतिक सिद्धान्त छैक ।
अहाँक
इस्तेमाल क' लेलाक बाद
अहाँ
"थ्रो"
क' देल जायब ।
तैं अपन जमीर बचाक' राखू ।
अपना के अंडरइस्टिमेट
कहियो नै करू,
अहाँ अनमोल छी,
अहाँ अनुपम छी,
अहाँ ब्रह्माण्ड मे
सबसँ महान छी !
सबसँ महान छी !!!
***************
No comments:
Post a Comment