Tuesday, January 23, 2018

माँ शारदे

आइ सरस्वती पूजा अछि- माँ वीणावादिनीक/ विद्यादायिनीक पूजा I स्थूल पूजा भेल माँ के चित्र/मूर्तिक पूजा- फूल, अक्षत, सिन्दूर, दूभि, तुलसीदल, नैवेद्य, धुप-दीप, पान-सुपारी.... स श्रद्धापूर्वक माँ के पूजा केनाइ I श्रद्धा-भक्ति स कएल गेल पूजा कहियो व्यर्थ नै जा सकैछ I शूक्ष्म पूजा थिक- खूब मोन लगाक’ अध्ययन/मनन केनाइ, माँ के पूजा बूझि खूब ज्ञान प्राप्त केनाइ- शास्त्र-पुराण के गूढ़ अध्ययन केनाइ I शूक्ष्म पूजा विशिष्ट पूजा थिक, एकरे महत्त्व छैक, मात्र स्थूल पूजा करैत रही आ अध्ययन नै करी त’ ओ पूजा फलदायी नै भ’ सकैछ I
“ विद्वत्वं च नृपत्वं च नैव तुल्यो कदाचन,
स्वदेशे पूज्यते राजा विद्वान् सर्वत्र पूज्यते I”
जाहि विद्वताक प्रशंसा उक्त श्लोक मे कैल गेल अछि तकर अधिष्ठात्री देवी माँ सरस्वतिए त’ छथि I हिनक आराधना स’ ताहि अमूल्य वस्तुक प्राप्ति होइछ जाहि के सोझाँ नृपत्व पानि भरैछI
             माँ के वाहन हंस छन्हि- ‘ नीर-क्षीर विवेकी ’- दुग्ध मे स’ पानि अलग क’ क’ दूध ग्रहण क’ लै छथि- तात्पर्य अछि जे माँ के पूजा स’ सार-असार के ज्ञान भ’ जाइछ- सार ग्रहण करू, असार के त्यागू I
           माँ के वस्त्र श्वेत छन्हि- दागरहित सादगीपूर्ण जीवन- सात्विक आधार पर ज्ञानक अवतरण होइछ- राजसी, तामसी शूक्ष्म ज्ञान नै प्राप्त क’ सकैछ I
माँ के पूजा स’ चिंतन-मनन, संगीत, कला सब मे निपुणता अबैछ I
माँ के दू हाथ मे वीणा छन्हि- आराधना स’ संगीत कला मे निपुणता आबैछ I एक हाथ मे पुस्तक- शिक्षा/ज्ञान के प्रतीक- दू पैरक पशु शिक्षा/ज्ञान प्राप्त क’ मनुक्ख बनि जाइछ- आन्हर के ज्ञान चक्षु भेटि जाइछ I
एक हाथ मे माला छन्हि- गायत्री जपू, सब ज्ञान अपने दौड़ल आयत I जँ कोनो छात्र प्रतिदिन 108 गायत्री जपि अध्ययन करताह त’ निश्चित विद्वान् बनताह I
माँ के दोसर सवारी मोर छन्हि- मोर कला आ ब्रह्मचर्यक प्रतीक अछि- ब्रह्मचारी के माँ के पूजा स’ कला मे निपुणताक गारंटी I
     माँ के उपासना स’ मंदबुद्धियो प्रकांड विद्वान् भ’ जाइछ- कालिदास,वरदराजाचार्य, बोपदेव... इत्यादि प्रत्यक्ष प्रमाण छथि I
               माँ के पूजन स’ मनन-चिंतन अबैछ- ऋषि-मुनि गूढ़ चिंतन क’ क’ वेद, पुराण, उपनिषद, स्मृति, ब्राह्मण......इत्यादिक रचना क’ सकलाह I

        हमहूँ सब माँ के पूजन- चिंतन-मनन क’ क’ शास्त्रग्य जरूर भ’ सकै छी I                            -------वसन्तपंचमी, २१.०१.२०१८ 

No comments:

Post a Comment