अनके समझाब'मे जिनगी हमर बीति गेल,
बीतल अनेको साल, उमर हमर ढलि गेल।
अपन अंतर के कखनो हम टटोललहुँ नै,
कि कहैए मोन हम्मर, कखनो हम सोचलहुँ नै।
बीतल अनेको साल, उमर हमर ढलि गेल।
अपन अंतर के कखनो हम टटोललहुँ नै,
कि कहैए मोन हम्मर, कखनो हम सोचलहुँ नै।
अनकर खिड़की झाँकएमे, अपन दुआरि बन्द रहल,
अनकर रस्ता ताकएमे, पैरक नीचाँ धरती खसकल ।
कहियो अपना दिस घुरि क' हम ताकल नै,
अपन मोनक पीर कखनो हम भाँपल नै ।
अनकर रस्ता ताकएमे, पैरक नीचाँ धरती खसकल ।
कहियो अपना दिस घुरि क' हम ताकल नै,
अपन मोनक पीर कखनो हम भाँपल नै ।
समय जखन बीति गेल, हाथ कछु आयल नै,
बचल रहल सिर्फ़ याद, आर किछु पायल नै ।
जखन भेल भोर, तखन एकटा भेल ज्ञान,
छूटि गेल जे असल, ओकर आब भेल भान ।
बचल रहल सिर्फ़ याद, आर किछु पायल नै ।
जखन भेल भोर, तखन एकटा भेल ज्ञान,
छूटि गेल जे असल, ओकर आब भेल भान ।
सबसँ जे जरूरी छल, ओ तँ हमही छलहुँ,
अनकर सोझाँ जिनगी भरि, मोम जकाँ गललहुँ ।
आब पछताक' की हेतै, जखन समय बीति गेल,
अनके समझाब'मे जिनगी हमर बीति गेल।
अनकर सोझाँ जिनगी भरि, मोम जकाँ गललहुँ ।
आब पछताक' की हेतै, जखन समय बीति गेल,
अनके समझाब'मे जिनगी हमर बीति गेल।
No comments:
Post a Comment