Friday, November 13, 2026

माटिक डिबिया

माटिक डिबिया सिखबय, जीवन छोट रहय वा पैघ ।
आनक लेल इजोत बनी, काज हो सबसँ पैघ ।।
काज हो सबसँ पैघ, अन्हारक करय विनाशे ।
आपन तेल जराय, जगत मे भरय प्रकाशे ।।
कहथि 'कमल' डिबिया प्रतीक थिक धर्मक बढ़िया ।
परहित मे बलिदान, अमर अछि माटिक डिबिया ।।