Friday, May 11, 2018

दुःख



दुःख पर जँ
ध्यान देल जाय त’
पबै छी जे ई वास्तव मे
भौतिक, शैक्षणिक, आत्मिक
सब प्रकारक
उन्नतिक टेस्ट थिक I
जतेक व्यक्ति विश्व मे
नाम कमेलाह सब के
कठोरतम दुःख स’
गुजर’ पड़लनि आ
तखने ओ महानतम
बनि सकलाह I

राम, कृष्ण, बुद्ध, शंकराचार्य,
विवेकानंद...आदि जखन
दुखाग्नि मे तपलाह
तखनहिं असली
सोनाक रूप मे चमकलाह I
“ औरों का दुःख देखा तो
मैं अपना दुःख भूल गया I “
रामक चौदह वर्षक वनवास
हुनका पुरुषोत्तम बनेलक,
कृष्ण के त’ जन्मे
कारागार मे भेल छलनि,
बच्चे स’ तते
आफत-विपत अयलनि जे
हुनका ऑल राउंडर बना देलकनि
आ हुनका साक्षात् भगवान
मानल गेलनि-
‘ कृष्णस्तु भगवान् स्वयं ‘ I
भगवान बुद्ध
सबटा राजसी सुख त्यागलाह,
तैं दशावतार मे नवम्
अवतार बनलाह I
तही तरहें शंकराचार्य
आदिगुरू कहेलाह आ
विवेकानंद शिकागो धर्मसम्मेलन मे
एक गुलाम देश के विश्वगुरुक
पद पर प्रतिष्टित
क’ सकलाह I    

रे मन !
हुनका सबहक कष्ट के आगू त’
तोहर कष्ट किछु नै छौ,
तखन कियैक एते अधीर छैं,
धैर्य धर,
एक दिन बेरा
पार लगबे करतौ !!
*********************

No comments:

Post a Comment