आइ सुनीलक सबस' जेठ पुत्रक विवाह छनि. हुनकर बहुत आग्रह रहितो अस्वस्थताक कारणे जयवा मे असमर्थ छी. तावरतोर फ़ोन आबि रहल अछि. नीलूक माय सेहो कैक दिन स' बोखार मे परल छथि. सुनीलक मोन मे बहुत दु:ख हेतनि जे नहि एलाह, मुदा इच्छा रहितो नहि जा सकै छी.

Friday, February 15, 2013
मा शारदे

ज्ञान की अधिष्ठात्री 'वाणी' की आराधना से सभी विद्याओ` की प्राप्ति संभव है.
श्रिष्टि के रचयिता ब्रह्मा की वामाङ्गा उनकी प्रेरणा ही तो हैं. मा की ईक्षा से ही तीनो देवगण (ब्रह्मा, विष्णु, महेश), सर्जन, पालन एवं प्रलय करते हैं.
माघ मास की पञ्चमी तिथि (वसन्त पञ्चमी) मा के पूजन का दिन है.स्कूल-कालेज के छात्र विद्या प्राप्ति की कामना लिये सुबह से ही अर्चन-भजन मे लगे हुए हैं. --------जय मा शारदे.
Monday, February 11, 2013
विशेष
किछु दिन पूर्व नालन्दा के भ्रमण केलहु. नालन्दा विश्वविद्यालयक खण्डहर घुमैत काल ओकर समृद्धिक कल्पना स' अभिभूत छलहु. प्राचीनकाल मे हम कतेक आगू छलहु, ई प्रतीक थिक. खण्डहरक प्रत्येक भाग विश्व प्रसिद्ध विद्यागारक बखान क' रहल छल. ई अहि बातक द्योतक थिक जे जाहि काल मे दुनियाक अन्य देश बहुत पिछरल छल, हमर नालन्दा दुनियाक ज्ञानक भण्डार छल; विश्वक विद्यालय छल. ज्ञानक दुश्मन बख्तियार-खिल्जी के मानवताक दुश्मन कहि सकैत छी. गाइड के मुह स' सुनलहु जे पुस्तकालय मे लगाओल गेल आगि तीन मास धरि धधकैत रहल. पुस्तकालय कतेक समृद्ध छल ई अही स'पता चलैत अछि.
खण्डहर देखलाक बाद सारिल्चक गाम देखय गेलहु. अही गामक भगवान वुद्धक प्रमुख शिष्य सारिपुत्र छलाह. सम्भवतः गामक नाम स' सारिपुत्रक नाम वा हुनके नाम पर गामक नाम राखल गेल होयत. ओहि गामक जैविक खाद आ ओहि स' उपजाओल कोबी, अल्लू देखिते बनैत छल. एकटा कृषक प्रयोगक रूप मे अपनहि एकटा खेत मे जैविक आ दोसर मे रासायनिक खादक प्रयोग क' कोबी लगौने छलाह. मुदा जैविक के परतर रसायनिक की करत ? उपज आ स्वाद दूनू मे जैविक अव्वल होइछ. ओहि कृषक के पुत्र आइ.आइ.टी. दिल्ली मे पढैत छनि. मेधावी पिताक मेधावी पुत्र सर्वथा स्वाभाविक. ओही गामक मसरूमक उत्पादन देखि अर्थशास्त्रक नोवेल विजेता प्रो. स्टिग्लिज बाजि उठलाह- 'भारतीय किसान, वैज्ञानिक स' बेसी काबिल छथि'. बटर-मसरूम'क उत्पादन-पद्धति आर बेसी वैज्ञानिक बुझायल.
Subscribe to:
Posts (Atom)