Kamalji
Saturday, May 2, 2026
मोनक व्यथा धरी मोनेमे
सर्वोत्तम होयतजे मोनक,
पीड़ा राखू मोन ।
मलहम कम्मे लगमे भेटय,
बेसी छीटय नोन ।।
बेसी छीटय नोन,
व्यथा लखि मन मुस्कायत ।
बाजत सगरो जाय,
नगरभरि ढोल बजायत ।।
कह 'कवि' सोचि-बिचारि,
मौन हो सबसँ उत्तम ।
मोनक व्यथा धरी मोने
तँ हो सर्वोत्तम ।।
Newer Posts
Older Posts
Home
Subscribe to:
Posts (Atom)