Saturday, May 23, 2015

माँ

माय क बराबरी कियो नहि क' सकैछ। कहल गेल छैक जे जौं कियो मायक बराबरीक नाटक करय त'ओकरा डाइन बुझू। ओहि बच्चा स' बेसी  अभागा क्यो 

रुचिपूर्ण कार्य

विना मोन के कोनो काज केनाइ उचित नहि। दबाब मे कैल काज कदापि शत-प्रतिशत परिणाम नहि द' सकैछ। बच्चा पर कोनो ख़ास विषय के लेल दबाब नहि देबाक चाही। ओकरा जाहि क्षेत्र मे सबस' बेसी रूचि होइक ओही मे भिरेबाक चाही। हमरा समाजक कोनो अभिभावक अपना बच्चाके कॅरिअर के रूप मे खेल के नहि लेब' देथिन। मुदा ज' यैह मानसिकता तेंदुलकर, सायना नेहबाल,सानिया मिर्जा आ विश्वनाथन आनन्दक पिता रखितथि त' हमसभ हुनका लोकनिक अद्भुत प्रतिभा स' बंचित रहि जैतहुँ।  अमिताभ बच्चन कत' पबितहुँ ?